हे कर्पूरी नमन अहां के
बिहार के मैट्रिकुलेशन करिकुलम सँ अंग्रेजी के अनिवार्यता हटाबै वला पहिल धाकङ नेता छलाह कर्पूरी ठाकुर‌। अंग्रेजी हुकूमत अंग्रेजी भाषा के दम पर भारत के लूटलक तैं आजादी तत्पश्चात  अंग्रेजी के अनिवार्यता के करिकुलम सँ ही खत्म क देलाह। अंग्रेजी अनिवार्यता समाप्त कय क हिंदी के प्रचार-प्रसार में अप्पन अपार योगदान देबै वला महानायक ठाकुर जी के सादर प्रणाम।
टविटके माध्यम सँ सेहो बहुत रास सुंदर सुंदर समाद जागृत थिक
मिथिला के अंगना में अझुके दिन एकटा महानायक मिथिला पुत्र के जन्म भेल रहनि जिनक वर्णन इतिहास के पन्ना पन्ना में व्यक्त थिक। गोकुल ठाकुर आ रामदुलारी देवी के सुपुत्र मैथिल पुत्र, गुदरी के लाल, गरीबक मसीहा, ईमानदारी के पर्याय, जननायक कर्पूरी ठाकुर जी के आय जयंती छन्हि हुनक जन्म दिवस पर कोटि-कोटि नमन
 महानायक ठाकुर जी Quit India Movement में हिस्सा लेबाक लेल अप्पन ग्रेजुएशन तक के छोङि देलाह। आहां के बता दी कर्पूरी ठाकुर 26 महिना जेल में सेहो गुजारने छथि अतः हूनक संघर्ष के भारत कहियो नहिं बिसरि सकैत छैक। आज़ादी के बाद कर्पूरी ठाकुर शिक्षा के क्षेत्र में जबरदस्त काज केलैएन्ह आ 1952 में बिहार विधानसभा के ताजपुर क्षेत्र सँ विधानसभा सीट सँ सोशलिस्ट पार्टी सँ चुनाव लड़लाह। ठाकुर जी जयप्रकाश नारायण जी सँ सेहो बहुत क्लोज छलाह इमरजेंसी के समय में total revolution movement के नेता सेहो छलाह। एक शब्द में कहि सकैत छीयैक जे ठाकुर जी के योगदान अथाह थिक जे व्यक्त करैकै कोना भारतक स्वतंत्रता सँ स्वतंत्रता उपरांत तको ओ डटल रहला।

मिथिला के संगे संगे बिहार के एगारहम मुख्यमंत्री 1970 स 1971 तक अप्पन सेवा देलैएन्ह आ तहिना 1977 सँ 1979 तक आगु सेहो।
उपमुख्यमंत्री तथा शिक्षा मंत्री के रूप में सेहो ठाकुर जी अप्पन सेवा देलैएन्ह। ठाकुर जी ग़रीब के मसिहा मानल जाएत छथि सरकारी नौकरी में पिछङा जाति वास्ते रिजर्वेशन अनलाह 1978 में

एना मानल जाएत छैक कर्पूरी ठाकुर जी लालू प्रसाद यादव, रामविलास पासवान, नितिश कुमार के मेंटर छलथि।
ठाकुर जी स्वतंत्रता सेनानी के साथ साथ एकटा माजल राजनेता और शिक्षक होमाक परिचय देबा में अप्पन जिम्मेदारी निभेलाह।
कर्पूरी ठाकुर जी के जयंती पर सम्पूर्ण मिथिला के तरफ़ सँ सादर नमन 🙏💐
Krishna Mishra